Sunday, 15 September 2013

सत्यवीर कथा

 
                                   सत्यवीर कथा

                   - महाकवि विद्यापति रचित ‘पुरुष परीक्षा’ सँ 

                                        प्रस्तुति : अमलेन्दु शेखर पाठ

प्राचीन कालमे हस्तिनापुर नामक नगरमे महमद नामक  बादशाह भेल छला। सागरपर्यन्त भूमण्डलपर शासन केनिहार ओहि बादशाहक उत्कर्षकेँ काफर राजा सहन नञि कऽ सकल। ओ हुनकापर आक्रमण करबा लेल समस्त दलबलक संग ओतऽ आबि जुमल। ओकर एबाक समचार सुनि बादशाक लाख-लाख कम्बोज घोड़ा ओ तुर्क सबारकेँ संग लऽ शहरसँ बहराय युद्धक आह्वानकेँ स्वीकार कयल। तखन दुहू दलमे युद्ध ठनि गेल। जोरगर काफरराजक सेनासँ मारि खा यवन योद्धासभ युद्धसँ विमुख भऽ पड़ाय लागल। अपन सैनिक सभकेँ सिंहक डरसँ पड़ायल हाथीक दल सन देखि कऽ बाजल- हे हमर सेनाक जबान सभ! हे राजा, हे राजपुत्र लोकनि ! अहाँसभक बीच क्यौ एहन नञि छी जे तत्काल शत्रुक डरेँ छिन्न-भिन्न हमर सेनाकेँ अपन बाहुवलसँ क्षणमे रोकि सकी? बादशाहक ई वचन सुनि कार्णाटकुल संभूत नरसिंहदेव नामक एवं चौहान कुलमे जन्म लेनिहार चाचिकदेव नामक युगल राजकुमार बाजि उठला- राजन् ! नीचाँ मुँह खसैत जलकेँ ओ शत्रु-भयसँ छहोछित्त भगैत अहाँक सेनाकेँ आब एखन के थम्हा (बचा) सकैछ? परञ्च जँ क्षण भरि अहाँ घूरि देखी, तँ हमहीँ दुहू गोटे अहाँक शत्रुदलक मुण्डकेँ तरुआरिक धारक चोटक परिचय करा दी। बादशाह कहलनि- चाबस! अहाँ दुहूकेँ छोड़ि दोसर के एना कऽ सकैछ?
तदुत्तर नरसिंहदेवक बाहुमल रोमाञ्चकुञ्चित भ आयल। वज्रक आघात जकाँ चाबुकक चोटसँ घोड़ाकेँ दौड़ाओल, घूमि कऽ देखय-देखय ताबत काफर राजक सेनामे प्रवेश कऽ गेला। ओतऽ जा, विजयसँ उजागर श्वेत छत्रसँ चिन्हरगर काफर राजाकेँ अबैत देखि छातीपर भाला चला देलनि। काफर राजा ओहि वज्र समान भालाक चोटसँ निष्प्राण भऽ भूमिपर खसि पड़ला। ओमहर चाचिकदेव भूमिपर खसल हुनक मस्तक काटि बादशाहक आगाँ अनलनि। बादशाह पुछलनि- ककरा मस्तक थिक? चाचिकदेव कहलनि- काफर राजाक। यवनेश्वर पुछलनि- ककरा द्वारा मारल गेल? चाचिक बजला- पराक्रममे जे अर्जुनक तुलना करै छथि ओहि नरसिंहदेव द्वारा ओ मारल गेल अछि। हम तँ हुनका पाछाँ चलैत ओकर मस्तक टा काटल अछि। बादशाह पुछलनि- नरसिंहदेव कतऽ छथि? चाचिक कहलनि- काफर राजाक निकट रहनिहार अपन मालिकक मृत्युसँ विशेष रोषायल बहुतो मोगल सैनिक सभकेँ एकाँएकी मारैत टा हुनका म्हम देखलियनि। कतऽ गेला, एखन कतऽ छथि वा नञि छथि से नञि जानि।
तखन यवनराज शत्रुक सेनाकेँ, जकर नायक मारल गेल छलै, तकरा पड़ाइत देखि परम आनन्दित भेला। ओकरा सभक खेहार करैत अपन सैनिक जवान सभक प्रति कहलनि- हे हमर सैनिक सभ, पड़ाइत शत्रुसेनाकेँ की मारै जाइ छऽ? एखन हमर राज्यक रक्षा केनिहार ओे काफर राजक अन्तकारी नररूपी सिंह यथार्थनामा नरसिंहक पता लगा हमरा कहै जा।
ओकर बाद संग्रामभूमिक एक स्थलमे बादशाह बहुतो नाराचसँ छिन्न-भिन्न भेल शरीर, जाहिसँ शोणितक सहस्रो धार बहि रहल छलै, जे फुलायक पलाश जकाँ छल, वेदनासँ मूर्च्छित नरसिंहदेवकेँ देखलनि। बादशाह घोड़ासँ उतरि कहलनि- हे नरसिंहदेव! जीवन चाही? नरसिंहदेव बजला- हम जे कयल से अहाँ बुझलहुँ? यवनेश्वर कहलनि- बुझलहुँ, चाचिकदेव सभटा कहलनि। अहाँ हमर शत्रुकेँ मारलहुँ अछि। नरसिंह बजला- तखन हम जीवन चाहै छी। कारण-
जकर हितक इच्छासँ हम दुष्कर कर्म कयलहुँ से जँ बुझलनि तँ श्रम रूपी वृक्ष फलित भऽ गेल।
ओकर बाद हुनक शरीरसँ आपुंख निमग्न नाराचवाणकेँ बाहर करा यवनराज ओहि कुमारकेँ अनेक प्रकारक औषधिक प्रयोगसँ, संयमसँ, थोड़बे दिनमे घावरहित कऽ देलनि। तदुत्तर हजारो घोड़ा, लाखो अशर्फी, छत्र आ चारम आदिसँ हुनक सत्कारक आयोजन केलनि।
संवर्द्धनाक कालमे नरसिंह देव कहलनि- राजन राजपुत्र लोकनिक  युद्ध करब स्वभाविके  धर्म थिक। तखन हम कोन अद्भुत कयल जे ई सत्कार कऽ रहल छी। जँ तदर्थ सत्कार कर्तव्य अछि तँ चाचिकदेवक करू, जे शत्रुक मस्तक आनियो कऽ सत्यक रक्षार्थ अहाँक आगाँ हमर यशकेँ प्रकाशित केलनि, अपन पौरुष नञि ख्यात केलनि। नञि तँ हुनक आनल मारबाक चिह्नस्वरूप शत्रुक मस्तककेँ देखि के जानि सकैत जे हमहीँ शत्रुकेँ मारल अछि? तेँ पहिला पूजा-सत्कार हुनके कयल जाय।
चाचिक देव कहलनि- कुमार नरसिंह! से जुनि कही। कोना हम अहाँक पराक्रम फल लऽ दोसराक ऐँठायल यशसँ जीबी?
नरसिंह देव कहलनि- धन्य सत्यवीर! धन्य! अहाँक एहि सत्यसँ सभ वस्तुक विवेचना भऽ गेल। चाचिक अहाँ महान् आशय वला छी, क्रियाकुशल छी, सतीपुत्र छी।
तकर बाद दुहू कुमारक परस्सपर वार्तालाप सुनि अत्यन्त सन्तुष्ट भऽ यवनराज दुहू व्यक्तिकेँ समान रूपे सत्कार कयल। 

No comments:

Post a Comment